मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

मंगलवार, 10 जनवरी 2012

भविष्यवाणी

पंडितक भविष्यवाणी सुनने हेबै .
सुनने हेबै वैग्यानिकक .
आइ सुनू कवि के भविष्यवाणी .
गणना क' जे लिखलक .
जौँ एहिना फुलायत महगाई .
त' बाजारक की हेतै भाव ,
पचास पैसा मे चिन्नी के 100 दाना .
10 मे भेटत एकटा चाउर ,
गहुमक हाल एहिना रहत .
दाम लागत जौँ किनब छाउड़ .
पाँच बूँद दुध एक टका मे भेटत ,
घी .म'ध डेढ़ मे मात्र सूंघब ,
पेट्रोल सबके क' देत तवाह .
की लिखत "अमित" की आगु बाजत ,
कवितो भ' जेतै बड्ड मंहगा । ।


अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें