मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

दीप नारायण'विद्यार्थी' लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
दीप नारायण'विद्यार्थी' लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

शुक्रवार, 21 जून 2013

गजल

प्रस्तुत अछि, दीप नारायण'विद्यार्थी' जीकँ गजल


आब कथी राखल अछि पिआर मे
लोक फुसिए बौआइए बोखार मे

हमरा तँ खरबो मे नहि भेटल
आहाँक मुदा भेटगेल हजार मे

'फुसियांहू साय लेल निन्न कामय
कतेक मुर्ख छथि लोक संसार मे

साँच कहब तँ ओल जका लागत
तैं किया किछु कहब बेकार मे

एहि दुनियाँ सँ कुन आश 'दीपक'
चलु चलै छी माय के दरबार मे
 
वर्ण~~१३
दीप नारायण'विद्यार्थी'