मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

पोथी किनू/पढ़ू लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
पोथी किनू/पढ़ू लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

बुधवार, 26 मार्च 2025

पोथी चर्चा, कविता आ गीत संग्रह- व्यथा




पोथीक नाम : व्यथा

विधा : कविता गीत संग्रह 

भाषा : मैथिली 

कवि/ लेखक: जगदानन्द झामनु

पोथी परिचय:  ‘व्यथाशीर्षक कविता-संग्रह जगदनानन्द झामनुद्वारा रचित कुल 34 गोट कविता 16 टा गीतक संकलन थिक। अधिकांश कविता मिथिलाक गौरव-गाथासँ लए कए महिलाक दशा पर चित्रित अछि। एकर अतिरिक्त किछु कविता आन आन विषयपर कविक भावोद्गार व्यक्त करैत अछि। संगहि गीतमे कविक अर्चनाक स्वर मुखरित भेल अछि। मिथिलाक गुणगान एकर अतीत आओर वर्तमानक बीच विरोधाभास विषयपर पहिल 14 टा कविता सुन्दर सुमधुर स्वरमे सजाओल गेल अछि। बाँकीक आन कविता सभ सेहो पाठकक मनोरंजन आ अपन माटि पानिकेँ यादि आ महत्वतासँ चित्रित करैत करेजामे एकटा मधुर कम्पन करैत अछि। 

मूल्य: 290 भा ₹ (संपूर्ण भारतमे डाक खर्च सहित, भारतसँ बाहर डाक खर्च अतिरिक्त)

पोथी प्राप्ति लेल: अपन पूर्ण पता, मोबाइल नम्बर, पिन कोड सहित +91 92124 61006 प  वाट्सअप करी

 


मंगलवार, 11 फ़रवरी 2025

पोथी चर्चा, गजल संग्रह- नढ़िया भुकैए हमर घराड़ीपर

 




पोथीक नाम : नढ़िया भुकैए हमर घराड़ीपर 
विधा : गजल संग्रह (बहरयुक्त)
भाषा : मैथिली 
गजलकार/ गजलगोहि/ लेखक : जगदानन्द झा ‘मनु’
पोथी परिचय: एहि संग्रहक ई-बूक 2014 ईसवीसँ वेदेह आर्काइवमे उपलब्ध छल/अछि परंच प्रिंट रुपमे, प्रथम संस्करण 2022 व द्वितीय संस्करण 2023 मे आयल। अपन माटी पानिसँ दूर होबैक दर्दकेँ करेजामे समेटने, एक सय एकटा बहर युक्त गजलक संग्रह, पाठकक मनोरंजन संगे संग हुनक मोनमे अपन माटि पानिेक यादि आ सिनेहकेँ तरोताजा व ओतप्रोत करैमे सफल भेल अछि। जगदानन्द झा ‘मनु’ पिछला डेढ़ दसकसँ मैथिलीमे बहर युक्त गजल लिखैत, मैथिली गजलमे अपन एकटा नीक जगह बनोने छथि। यदि अपने गजल वा मैथिली गजलसँ सिनेह रखैत छी तँ अपनेकेँ ई पोथी अवश्य पढ़वा चाही। 
मूल्य: 200 भा ₹ (संपूर्ण भारतमे डाक खर्च सहित, भारतसँ बाहर डाक खर्च अतिरिक्त)
पोथी प्राप्ति लेल: अपन पूर्ण पता, मोबाइल नम्बर, पिन कोड सहित +91 92124 61006 पर वाट्सअप करी


बुधवार, 25 अक्टूबर 2023

पोथी चर्चा, बीहनि कथा संग्रह - तोहर कतेक रंग


पोथीक नाम : तोहर कतेक रंग 
विधा : बीहनि कथा संग्रह 
भाषा : मैथिली 
बीहनिकार/ कथाकार / लेखक : जगदानन्द झा ‘मनु’
पोथी परिचय: बीहनि कथा संग्रह "तोहर कतेक रंक",  एहि ठाम तोहर माने स्त्री, नारी । स्त्रीक विभिन्न रूपक चित्रकें चित्रण करैत ई बीहनि कथा संग्रह बहुत रूचिगर अछि। एकसँ एक नीक नीक बीहनि सभ सम्पूर्ण पोथीकेँ एक्केँ संगे पढ़ै केर लेल मोनमे कोताहल व उत्सुकता जगेने रहैत अछि।  जगदानन्द झा ‘मनु’ पिछला डेढ़ दसकसँ मैथिलीमे लगातार बीहनि कथा लिखैत, मैथिली बीहनि कथा लेखनमे अपन नीक जगह बनोने छथि। 
मूल्य: 200 भा ₹ (संपूर्ण भारतमे डाक खर्च सहित, भारतसँ बाहर डाक खर्च अतिरिक्त)
पोथी प्राप्ति लेल: अपन पूर्ण पता, मोबाइल नम्बर, पिन कोड सहित +91 92124 61006 पर वाट्सअप करी