मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

मंगलवार, 30 जून 2026

पोथी चर्चा , हाइकू संग्रह - आखर आँखि



पोथीक नाम : आखर आँखि

विधा : हाइकू संग्रह

भाषा : मैथिली 

कविलेखक जगदानन्द झा ‘मनु

पोथी परिचय: आखर माने अक्षर आँखि मनुष्यक शरीर केर छोट अंग भेला बादो अत्यंत महत्वपूर्ण अछि। आँखि चुपचाप मौन रहितो दुनियाँक नीक बेजए, अन्हार ईजोत, सुख दुख सौंदर्य विरूपता सभ किछु देखैत मनुष्यक चेतनाकेँ निरन्तर सचेत करैत रहैत अछि। तेनाहितेआखर आँखिमे परोसल गेल हाइकू अपन आकारमे भलेँ छोट हुए आँखि जेकाँ अपना भीतर बहुत किछु समेटने अछि। छोट-छोट पाँति पाठकक चेतनाकेँ स्पर्श करबाक सामर्थ रखैत अछि।

आखर आँखिमात्र हाइकू संग्रह नहि भऽ कऽ जीवनक छोट-छोट छनकेँ देखबाक ओकरा आखरमे बाँधबाक एकटा साधना अछि। कतेको बेर बहुत कहला बादो गप्प अपूर्ण रहि जाइत अछि ओतै कतेको बेर बहुत कम शब्द हियाकेँ स्पर्श कऽ लय अछि, एहि संग्रहक प्रत्येक हाइकू ओही सूक्ष्म अनुभूतिक खोज अछि।

 

मूल्य : 299 भा ₹ (संपूर्ण भारतमे डाक खर्च सहित, भारतसँ बाहर डाक खर्च अतिरिक्त)

पोथी प्राप्ति लेल अपन पूर्ण पतामोबाइल न०, पिन कोड सहित 91 9212-46-1006 पर वाट्सअप करी।

 


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें