मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

रविवार, 8 जनवरी 2012

कविता-सियासत एक मंडी


//१//

जिवन कए अंतिम साँझ पर, कहैत अछि आब काज करब
लूट मचाबैत छल जए काईल्ह तक ,कहैत अछि आब दान करब |
वोट जुटाबै कए लोभ में, इ कि की कs सकैत अछि
दलितक मोन कए बहलाबै लेल ,कहैत अछि उत्थान करब |

//२//

कखनो ओकर कखनो एकर इ संग पकैर लैत अछि
हवा किम्हर बहैत अछि ओ इ जैन लेत अछि
जकरा काईल्ह तक ओ हिकारत के नजैर सँ देखैत छल
सब किछु बिसरा कs तकरा , इ अपन मैन लैत अछि

//३//

सियासत एक मंडी अछि ,अतए इमान बिकाईत अछि
एक मनुख नहि बाँकी, सब सैतान भरल अछि
अतए ओहे सिंकन्दर अछि, जकरा में लाज होबै नहि बाकि
नहि दरिद्र हुए जे धन सँ , भले नजैर सँ खसैत अछि

कविताक रचना कार-निशांत झा


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें