मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

मंगलवार, 10 जनवरी 2012

‎''प्रियतम सरस''

हे यौ प्रियतम सरस अहाँ आएब कहिया ,
हमर मोनक आशा पूराएब कहिया ,

नीक लागए नै आब माँ बाबु के दुलार ,
अहाँ अपन प्रेमक ज्योति जरायेब कहिया ,
हे यो प्रियतम सरस ........................!

बड़देखलो बम्बई आ दिल्ली शहर ,
मधुबनी दैरभंगा घुमाएब कहिया ,
हे प्रियतम सरस ..........................!

नीक लागए नै दायेल भात आ माँछ मांगुर ,
अहाँ गरम जिलेबी खूअयेब कहिया ,
हे यो प्रियतम सरस ........................!

बनी बैसल छि ओतेय कूमुन्दनी के फूल ,
मोनक ऊपवन में बेली फूलायेब कहिया ,
हे यो प्रियतम सरस .........................!

बनी बैसल छि कहिया साँ नवकी दुलिहीन,
अहाँ नैहर साँ हमरा लो जाएब कहिया ,
हे यो प्रियतम सरस .........................!

स्वप्न देखि अहाँ छि जेना दुतिया केर चान,
अहाँ पूनम के चान बैन आएब कहिया,
हे यो प्रियतम ..............................!

बिसरल नै होइत अछि अहांक मुस्कुराबित छवि ,
अहाँ अपना संगे हमरो हंसायेब कहिया ,
हे यो प्रियतम ..............................!

निक लागए नै अहाँ बिनु कोनो श्रिंगार,
हाथ अपने अहाँ सिन्नुर लगाएब कहिया ,
हे यो प्रियतम ..............................!

अनेरो खनयेक अछि चुरी कंगन ,
हमर हाथ केर कंगन खनकएब कहिया ,
हे यो प्रियतम ..............................!

देखू प्यासे त गेल हमर अधरों सुखाई,
अपन अधर साँ अमृत पियाएब कहिया ,
हे यो प्रियतम सरस ...........................!

पत्र लिखैत-लिखैत हमर हाथो पिरायेल ,
हमर दर्दक दाम अहाँ चुकाएब कहिया ,
हे यो प्रियतम सरस अहाँ आएब कहिया !!

स्वस्नेह [रूबी झा ]

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें