मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

रविवार, 15 जनवरी 2012

कथा अमर अपन मिथिलाकेँ

कथा अमर अपन मिथिलाकेँ 

एकरा जुनि बिसरू
समस्त संसार मैथिलीमय हुए
आब दिन सुमरु


बहुत पिसएलहुँ सत्ताक जाँतमे
आब जुनि पिसल जाउ
बहुत पछुएलहुँ  पाँछा चलि कए
आबो आगु डेग बढाउ
निरादर किएक माएक भाषाकेँ
एकरा जुनि बिसराउ
आबो जागू होश सम्हारु
मैथिलीकेँ  बचाउ।


उठू सुतल शिंह  जगाबु
अपन स्वाभिमानकेँ 
आसमानसँ  ऊँच उठाबू
अपन मिथिलाक पहचानकेँ।
*****

जगदानन्द झा 'मनु'

 


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें