मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

बुधवार, 9 मई 2012

गजल


अहाँक गहिर झील सन आइंख क' जौं हम नील कमल कैह दी'
सौंस नगर जैर क' मैर जैत जौं एही पर कोनो गजल कैह दी'

अहाँ चली जखन थामि-थामि क' हजारो नजेर अहिंक तकै अछि
अहाँक संगमरमर सन देह क' किये नै ताजमहल कैह दी'

इठला- इठला क' छुवी-छुवी जाई अहाँक बदन पवन पुरिवा
आई अहाँ लेल पुरिवा क' हम कियेक नै पवन चंचल कैह दी'

कमला- कोशी क' देखू धार बहे अछि अहींक चलब अनुकूले त'
देखू किये नै हम सबटा धारो के अहिंक नाम सौं बहल कैह दी'

मेघो बरसय अछि अहींक केशक करि घटा सौं पूछीये -पूछीये
कहू किएक हम नै अहाँक केशो क' घन करिया बादल कैह दी'

(सरल वर्णिक बहर, वर्ण --२५)

 रूबी झा 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें