मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

शनिवार, 25 फ़रवरी 2012

बिसरि गेलौं सब किछु लेकिन की बिसरलौं ओ मन अछि
बिसरि गेल छी हुनका लेकिन हुनकर सब बात मन अछि

बितलाहा बात के बिसरि गेनाय ई सभ बुधियारक काज छी
हमहूँ बिसरि गेलौं सब किछु लेकिन बिसरलौं से मन अछि

ओ पहिल मिलन , धारक कात आयल छलीह गुलाबी ड्रेस में
एतबी बिसरलौं और किछु नहिं बिसरलौं बाकी सब मन अछि

हुनकर संग बितायल एक एक पल ओहिना सुना सकय छी
की करी बिसरलाहा के बादो ओहिना सब किछु मन अछि

लाखों करोड़ो नहिं पूरा दुनिया में हुनका चीन्ह सकय छी
हुनकर रुपक ओ छटा कोना बिसरब आई धरि मन अछि

षिकायत छन्हि हुनका जे कहियो हम फोनो नहिं करेत छी
हुनकर देल ओ एयरटेल के नम्बर एखन धरि मन अछि

हुनका ई लागेत छन्हि जे हम हुनका बिसरि गेल छी
हुनका की पता छन्हि हुनकर सब बात हमरा मन अछि

’आशिक ’ की कही अजब अछि अहाँ के आशिकी के दंग
ई त कहू की बिसरलौं , सब किछु त मन अछि

आशिक ’राज ’

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें