कुमुदिनी पर भँभर मंडराइए किए
यौ पिया कहू ने करेज घबराइए किए
भँभर कुमुदिनीसँ मिलन करैत छैक
यै सजनी अहाँक करेजा हहाइए किए
मोनक बगियामे नाचैए मोर मयूर यौ
प्रीतक उमंगसँ मोन छतराइए किए
अहाँक रोम रोममे अछि प्रेमक तरंग
अहाँक संग हमरा एते सोहाइए किए
प्रीतक बगियामे कुहकैए छैक कोईली
मधुर स्वर सुनि मोन लहराइए किए
मोन उपवनमे भरल प्रीतक श्रृंगार
एलै मधुर घरी मोन घबराइए किए
..........वर्ण:-१६..........
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट
मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित Maithiliputra - Dedicated to Maithili Literature & Language
बुधवार, 1 फ़रवरी 2012
गजल@प्रभात राय भट्ट
Labels:
गजल,
प्रभात राय भट्ट
हमर संक्षिप्त परिचय नाम:-प्रभात राय भट्ट जन्म:-बि.स.२०३६/०४/१५ पिता:- श्री गंगेश्वर राय (शिक्षक)माता:-श्रीमती गायत्री देवी (समाज सेविका)पितामह :- स्वर्गीय गौरीशंकर राय जेष्ठ भ्राता:- श्री प्रकाश राय भट्ट अनुज :- प्रवीन राय भट्ट बोहीन:- आशा देवी राय पत्नी :- पूनम देवी राय जेष्ठ पुत्री :-स्वर्णिम राय भट्ट पुत्र :-सत्यम राय भट्ट पेशा:-नोकरी नेपाल प्रहरी ५ वर्ष, वर्तमान नोकरी साउदी अरब स्थित अमेरिकन दूतावास में आर्म्ड फ़ोर्स, हमर अभिरुचि अध्ययन आ लेखन खास कs मैथिली बहुत जायदा पसंद करैत छी : हर मिथिलावासी के पसंद पान, माखन, और माछ हमरो पसंद अछि तेह हमरो उदेश्य मिथिला के सम्मान करब
आर मैथिलि साहित्य में अनवरत रूपेण हम अपन योगदान दैत रही इ हमर संकल्प अछि,जय मिथिला जय मैथिलि !!!
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें