मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

शनिवार, 18 फ़रवरी 2012

निर्मोही

निर्मोही संग जोरल प्रेमक कहानी ,
सनये छि नोर सां प्रेमक पिहानी ,
मौध में बोरी बोरी कहे छलाह .
तखन केहन वो प्रेमक बयना ,
केने सराबोर छथ ओतबे ,,
नोर सां हमर दुनु नयना ,
हाथ में हाथ दय बुझ्बई ,
कोना वो प्रेमक परिभाषा .
हज़ार खंड केलाह आइ वो ,
हमर मोनक सभ आशा ,
मोन में आश छल काटब,
हुनका सघे जीनगानी,
किछु दितऊँ किछु लितऊँ ,
हम हुनका प्रेमक निशानी ,
हुनक स्वभाव रसिक भ्रमर ,
केर होई अछि तहिना ,
रस पिबथी चंपा चमेली ,
खन गुलाब पर तहिना ,
जुनी कहिओ करब बिस्वास ,
पुरुख प्रेम पर ये सहेली ,
कहिओ न सुलझे ऊल्झ्ल
रहे सदिखन ई अछि पहेली
पूरुखक ,प्रेम जेना कागजक नैया ,
भिंजे ता गोबर सुखे ता रूइया

रूबी झा .

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें