सभकियो दुनियाँमे किएक आँखि चोराबै छैक
माँगि नहि लिए कियो तेँ सभकिछु नुकाबै छैक
गरीबी भेलैक बहुते केहन ई व्यबस्था छैक
गरीबी नहि सरकार गरीबेकेँ मेटाबै छैक
साउस भेली सरदार गलती नहि हुनकर
जतए ततए किएक पुतोहुकेँ जड़ाबै छैक
जतेक दर्द बेटामे बेटीयोमे ओतबे सभकेँ
बेटा बिकाइ किएक बेटीकेँ सभ हटाबै छैक
दुनियाँक रीत एहन 'मनु'केँ नै सोहाइ छैक
रहए जे खोपड़ीमे सभक घर बनाबै छैक
(सरल वार्णिक बहर, वर्ण-१८)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें