मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

बुधवार, 5 जून 2013

पियक्कर



ओ पियक्कर छलै ।भरि दिन पिबिते रहै ।सदिखन तलमलाइत रहै ।कतेको बेर नालीमे खसल, सड़कपर ओंघराएल भेटलै ।मुँहक दुर्गन्धक चलते लोक ओकरासँ दूर रहै ।घर-परिवारसँ जलखैयो नै भेटै ओकरा ।लोक ओकरा गरियाबैत रहै, शरापैत रहै ।मुदा आइ. . . . . . . ।
आइ अपन साहस देखेलकै ओ ।भरल बजारमे नवालीक लड़कीक इज्जत बचेलकै, मुदा मारल गेलै ।खूने-खूनाम भऽ गेलै माँझ चौबटियापर ।छटपाइत मरि गेलै ।आब समाजक कमजोरहा, हिजड़ा सब ओकर बड़ाइ करै छै, मुदा ओ लड़की भगवानसँ माँगि रहल छै जे एहने पियक्कर भऽ जाइ ई दुनियाँ ।

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें