मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

बुधवार, 5 जून 2013

सुरक्षित


- हौ गुलटन भाइ, एना स्वतंत्र भऽ किए घुमै छऽ ?
- से किए हौ? देश परतंत्र भऽ गेलै वा कर्फ्यू लागल छै?
- नै हौ एहन बात नै छै ।असलमे तोरापर हत्यक आरोप छऽ ।कखनो पुलिस पकड़ि लठियाबैत लऽ जेतऽ ।
- केहन गप करै छऽ ।एहन किछु नै हेतै ।उपर धरि सब टेबूलपर दक्षिणा दऽ आएल छियै ।दस टा हत्या आरो कऽ देबै तखनो सुरक्षित छी, सुरक्षित . . . बुझलऽ ने ?
गुलटेन भाइ नम्हर-नम्हर डेग बढ़बैत, पानक पीक थुकैत, ठहक्का मारैत चलि गेलाह ।

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें