मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

शनिवार, 14 जुलाई 2012

गजल- सदरे आलम "गौहर"


जैह देखू सैह बाजू हम त यैह पढने छी
राति  के दिन कहैले हमरा केना कहै छी

चम्चागिरी चाटुकारिता नहि केलहुँ हम
ताहि  द्वारे फूसक घर में हम रहै छी

मिथिला देशक वासी छी हम मैथिली बाजब
अपन इ पहचान नहि कहियो बिशरै छी

सभ दिन एके रंग नहि होएत छै कान धरु ई
कहियो नाह पर कहियो गाडी पर नाह देखै छी

सतयुग कलयुग में नहि हम मोन के ओझराबी
दुनियाँ त ठीके छै जँ हम  ठीक रहै छी

हँसै मे सभ हँसत कानै मे नहि कानत
कानि के देखु तखन कहब जे ठीक कहै छी

सदरे आलम "गौहर"
पुरसौलिया, जयनगर, मधुबनी
मो. 09006326629

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें