मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

शुक्रवार, 20 जुलाई 2012

बाल-गजल


हे मए  नहि चरबै लए   गाए जेबौ हम 
पठा हमरा इस्कूल कोपी पेन लेबौ हम   

अपन भाग्य आब हम अपने सँ लिखबौ 
कुकूर जकाँ नै   माँडे तिरपीत हेबौ हम 

रोगहा-रोगहा सभ कियो  कहए हमरा
एक दिन बनि डाक्टर  रोग हरेबौ  हम

टूटल- फूटल अपन फुसक घर तोरि
सुन्नर सभ सँ पैघ महल बनेबौ हम 

हमरा कहैत अछि 'मनु' मुर्ख चरबाहा
पढि कए   सभ चरबाहा केँ पढेबौ हम 

(सरल वार्णिक बहर, वर्ण- १६)
जगदानन्द झा 'मनु'
  

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें