मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

मंगलवार, 4 दिसंबर 2012

उगैत सूरज पएर पसारि

उगैत सूरज पएर पसारि 
धरतीक आँगनमे एलै 
लाल रंगक ओढ़नी एकर 
हरीयर खेतमे छिरएलै 

कोंढ़ी सभ मूरी हिला कए 
पंखुड़ीकेँ फैलेलक 
नचि-नचि कए नैन्हेंटा भोंडा 
खुशीकेँ नाच दखेलक    

लए संग अपन साजि बरयाति 
खुशी ओ संग अनने अछि 
संग एकरे उठल चिड़ै सभ 
आर मनुख सभ जगैत अछि 

माए सभ आँचरमे भरि कए 
नेनापर अमृत बरसेलै 
उगैत सूरज पएर पसारि 
धरतीक आँगनमे एलै 

बरदकेँ संग लए हरबाहा 
कन्हापर लादि हर आएल 
गाए महीषकेँ रोमि चरबाहा  
धरतीक आँगनमे बहि आएल 

छोट छोट हाथसँ नेना 
डोड़ी पकैर बकरीकेँ अनलक 
माथ पर ल' क' ढाकी खुरपी 
घसबाहीन झुमति निकलल 

एहन सुन्नर मनभाबक 
दृश्य भोरका कएलक 
उगैत सूरजकेँ त' देखू 
केहएन सुन्नर दुनियाँ बनेलक ।

उगैत सूरज पएर पसारि 
धरतीक आँगनमे एलै ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें