रूसि असगर किए चललौं दिल लगा लिअ
आउ चलि संग हमरो अप्पन बना लिअ
नहि बचन देब हम नहि किछु मोल एकर
संग हमरा ल मोनक संसय हटा लिअ
छोड़ि सगरो शिकाइत संगे चलब हम
प्राण छी हम अहाँकेँ हमरो मना लिअ
बारि दुनिया अहीँपर छोड़लौं सबकिछु
जीव कोना अहाँ बिन चितमे बसा लिअ
जुनि बुझू आन जगमे सपनोसँ कखनो
मीत बुझि ‘मनु’ करेजसँ आबो सटा लिअ
(बहरे असम, मात्राक्रम : 2122-1222-2122)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें