मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

बुधवार, 12 दिसंबर 2012

विहनि कथा-हाउ(मुखौटा)

विहनि कथा-हाउ(मुखौटा)

मनोहर बाबूकेँ के नै चिन्है छै?समाजकेँ दहेज मुक्त करबाक संकल्प लेने छथि मनोहर बाबू ।कतेको बेर ,कतेको मंचसँ दहेजक विरोधमे भाषण देने छथि ।दहेज लेनाइ-देनाइकेँ सबसँ पैघ पाप बुझै छथि ।

आइ इलाका भरिमे हुनक नामक चर्चा छै ।जनताक नजरि हुनक जेठ बेटाक विआहक कार्डपर छै । कार्डपर की रहतै ,ओहिपर छपल एकटा पाँतिपर टकटकी लगेने छै लोक ।जे पाँति छल "ई विआह दहेजक दानवी क्रियाकलापसँ कोसों दूर अछ
ि ।"

मनोहर बाबूक घरपर कऽर-कुटुमक भीड़ जुटल छै आ मनोहर बाबू दुनू प्राणी एकटा घरमे बतियाइत छथि ।

मनोहर बाबू-"इ विआह आइ हेबाक अछि मुदा लागि रहल छै जे नै हएत ।"

पत्नी-"से किएक ? विआह किए नै हेतै?"

मनोहर बाबू-"साँझक चारि बाजि गेलै मुदा तीलकक 12 लाखमेसँ 50 हजार टाका एखनो बाँकिए अछि ।"

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें