मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

मंगलवार, 30 अक्टूबर 2012

गजल

जैं मिथिला मे ई व्यवहार चलेति अछि
तैं बरक एखन व्यापार चलेति अछि

बेटा बला बेटा के हाट चढ़बैति छैक
लोक किनय लेल तैयार रहेति अछि

अहाँ जुनि पुछु गलती अछि किनकर
कहत पूर्वहि व्यवहार चलेति अछि

जौं मिसियो भरि कमी भ गेल दहेज में
कनियाँ बहुतेक हजार भेटेति अछि

तैं आईकाल्हि कोइखे में मारि देति अछि
आब सौंसे अहिना संसार चलेति अछि

एकर कारण सभ बैसि ताकय जाउ
दहेजक लोभी ई विचार चलेति अछि

सरल वार्णिक बहर
वर्ण - 15

नोट - मित्र के डायरी स लेल गेल ।

आशिक ’राज’

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें