परूँका साल ३१ मई क'
मनीष झा "बौआभाइ"
ग्राम+पो.-बड़हारा,भाया-अंधराठाढी(मधुबनी)
मो.-09717347995 (दिल्ली)
उपलब्धि संग्रह: http://writermanishjha.blogspot.com
भोरे भोर जतेक समाचार सुनबामे आबए
सभटा अचम्भिते करै बला । टेलीविजन चालू करिते देखै छी जे सगरो दिल्ली आ देशक आन आन
भागमे यत्र-तत्र बाट जामक खबरि, यातायातकेँ सुविधा बाधित । कारण की ? कारण ई जे,
पेट्रोलक मूल्यमे असामान्य वृद्धिकेँ विरुद्ध
जनमोर्चा, आ ताहि जनमोर्चामे
अपसियांत लोक । सभ वर्गक मिश्रित आम आदमी जिनक प्रतिनिधित्व करैत किछु नवोदित,
किछु परिपक्व आ किछु वरिष्ठ राजनीतिक व्यक्ति
लोकनि । ओना हिनका लोकनिक हस्तक्षेप भेनाइ सेहो परमावाश्यके , कारण जे हमरा लोकनिक बीच एहेन जनधारणा अछि जे
विपक्षी लोकनि अगुएता तखने सत्ताधारीक आँखि खुजतन्हि, भने ओ स्वयं सत्तामे एलाक बाद जे करथि, आ जँ से नहि होईतै तँ आइ ई दिन कियैक देखऽ परैइयै । महंगाइकेँ विरोध तँ आदि काल सँ
होइत आएल अछि, अंतर एतबे छै जे
पहिले सामान्य वृद्धि होइत छल आ आब असामान्य वृद्धि (अनिश्चित अनुपातमे) होइत अछि,
आओर इएह अनिश्चितता हमरा लोकनिकेँ बाटपर ठाढ़
करबा लेल बाध्य कऽ दैत अछि । आब एकर नतीज़ा संध्या कालक समाचारमे देखल जे पूर्ण हास्यास्पदे अर्थात असामान्य
वृद्धिकेँ विरोधमे हो-हल्ला भेलाक बाद सामान्य कमी, किएक तँ सरकारकेँ ई आभास तँ रहिते छैक जे हो-हल्ला हेबे
करतै तँ चलू कनेक उसास कए देल जेतै आ ठीक तहिना दोसर दिनसँ सभ किछु पूर्ववते
अर्थात सरकार महगाई बढ़बैमे एक बेर फेर सफल ।
हड़ताल रहितहु लोक अपन अपन गंतव्य तक जेना तेना पहुँच रहल छलाह, तकर एकटा भुक्तभोगी हमहूँ रही । बसमे बैसल बैसल
मोन अकच्छ भ’ गेल रहय कानमे
ठप्पी लगाय एफ.एम सुनय लगलहुँ, आहि रे बा ! ई की
? शाहरुख खानकेँ दम्मा
कहिया भ’ गेलन्हि, कहियो नै समाचारमे आयल छल, ने अखबारमे छपल छल । ई चैनल आ पेपर बला सभ तँ
बड़ दाबा करै छथिन्ह जे हम सभसँ बेसी तेज, सभसँ पहिने, सभसँ आगाँ,
मुदा एहिमे तँ सभ गोटे पछुआ गेलाह । ई
मीडियाकर्मी लोकनि तँ एहेन-एहेन चर्चित लोकक छींकोकेँ ब्रेकिंग न्यूज़ बना दै
छथिन्ह आ एतेक बड़का बीमारीकेँ जानतब सँ वंचित कोना रहि गेलाह ? मुदा औ बाबू ! वंचित ई सभ नै रहि गेलाह, वंचित तँ हम स्वयं रहि गेलहुँ एहि एफ. एम. बला नकलची लोकक
भाषासँ । संयोगवश ओहि दिन तमाकुल निषेध दिवस छल आ एहि अवसरपर शाहरुख़ खानकेँ
शुभचिंतक लोकनि हुनका धुम्रपानसँ सम्बंधित विषय वस्तुपर अपन अपन नसीहत दए रहल
छलथिन्ह आ ताहि क्रम कियो हुनके आवाज़मे नक़ल करैत एकटा संवादकेँ दम्मा बला अंदाजमे
सुना रहल छलाह । एहि तरहे हड़ताल आ तमाकुलक सिट्ठीसँ कन्छिआइत-कन्छिआइत अपन गंतव्य
धरि पहुँचलहूँ । भरि दिन काज धंधा कए कऽ संध्या काल जखन अपन मरैयामे एलहुँ आ फेर
समाचार देखए लगलहुँ जे, कतौ हमरो
युवावस्थाक फोटो आबि जए, मुदा से व्यर्थ
सोचल कारण फोटो तँ नहिये ऐल आ उलटे युवावस्था पर पूर्ण विराम लागि चुकल छल ।
युवा मित्र लोकनिक लेल ई अविस्मरणीय दिवस छल, किएक तँ सरकार आइ खुलि कए घोषणा क’ देलक जे - जे व्यक्ति १६ सँ ३० बरखक अवस्थाकेँ छथि, हुनके टा युवा वर्गकेँ श्रेणीमे राखल जेतन्हि ।
आजुक दिन हड़ताल झेलब आ की तमाकुल झेलब ओतेक भारी नै छल जतेक की ई वृद्धावस्था झेलब
(सरकारक अनुसारे) मोस्किल छल । नै जानि आइ किएक बाजपेयी जीक बड्ड यादि अबै छल,
एहि दुआरे की कमसँ कम अपनाकेँ एखन धरि युवा तँ
बुझै छलहुँ किएक की हुनक युवा उमेर निर्धारण सीमा छल १३ सँ ३५ बरख धरि छल । मोने
मोने ई सोचि बैसल रही जे एखन विवाहक वैधता पाँच बरख धरि आरो अछि, मुदा ई की ?
ई तँ एकाएक राताराती वैधता समाप्त ।
आब कल्पना करए लगलहुँ जे, काल्हि सँ जे घटक
एताह, हुनका आँगुरपर गानि-गानि
कऽ जन्म तिथि , मैट्रिक, इंटर, बी.ए. पासकेँ इसवी कहबन्हि आ ताहि गणनामे जँ कतहु चूक भेल तँ बुझू जे ई कलिजुग
बिना गृहस्थाश्रमे केँ समाज सेवामे बीति जाएत । मोनेमोन फेर भोला बाबाकेँ गोहराबए
लगलहुँ, “हे बाबा ! एहेन अनर्थ
किएक केलहुं ? कम सँ कम हमर वियाह जवानीमे तँ होमय दैतौं।”
बड़ बेस! रातिमे सूतल रही, की देखै छी
स्वप्नमे साक्षात् त्रिलोकीनाथ, गर्दैनमे
फुफकारैत जुआएल गहुँमन साँप, हाथमे त्रिशूल आ
डमरू, बाघक चामक ठेहुन धरि गमछा
बना नुरियेने, सौंसे देहमे शमसानक छाउर हसोथने, हमरा सिरमा लग आबि ठाढ़ भऽ गेलाह आ कहए लगलाह,
“हौ बौआ! हम दिने तोहर बात सुनै छलहु, मुदा ओतेक लोकक बीचमे कोना भेंट करितौं तैं एखन
एकांतमे कहै छियह! तोहर मोन एतेक छोट किएक छह ?”
कहलियैंह, ‘मोन छोट कोना नै
हैत बाबा ? ई सरकार दुखी कऽ देने अछि
। कहू तँ? वस्तुक दाम बढ़ा कए आकाश
ठेका देने छै आ मनुक्खक युवा उमेर निर्धारण सीमामे दिनसँ दिन कोताहिये केने जाइ छै
। देखियौ तँ बाजपेयी जी कतेक बढ़िया केने रहथिन्ह, उमेर सीमा
निर्धारण ।’
बाबा हमरा हतोत्साहित देखि कहलाह, “सुनअ पढ़ल लिखल छह बात बुझबाक चेष्टा करअ । हौ ! बाजपेयीकेँ समयमे
प्रधानमंत्रीसँ लऽ राष्ट्रपति तक केकरो देखलहक जे सोंगर पर ठाढ़ छल ? किएक तँ बेसी अवस्थाक रहितहु सभ अपनाकेँ जवान
बुझैत छल, तैं ओ सीमा नमहर छलैक,
ओनहियो ई सरकार संतुलन बनबए लेल महगी बढ़ा कऽ
उमेर घटा रहल अछि किएक तँ बूझल छैक जे एहेन महगाईमे लोकक गुज़र बसर केनाइ आ जीयब
कतेक मोसकिल छ,ै तैं मनुक्ख
जतबा दिन जीत तहीमे अवस्थाक वर्गीकरण तालिका बनाओल जए । मोन छोट नहि करअ आ चिंता
छोड़अ आ हमरा ई वचन दए जे काल्हि सँ तोँ अपन समयकेँ अनाप सनापमे एक्कहु क्षण व्यर्थ
नहि करबह, आ जतबा दिनक ओरदा छ’ह ओतबे दिनमे गृहस्थ जीवनकेँ संग संग सामाजिक
दायित्वक निर्वाहमे ततेक बेसी समर्पित भ’ जाऽ जे दिनानुदिन तोहर कीर्तिसँ ई
समाज, देश, कर-कुटुम, परिवार सभ तोरापर गर्व करए
लागअ । एकटा बात आर मोन रखिह’ जे, जे व्यक्ति कर्मठ अछि ओ
सतत जुआने रहैत अछि किएक तँ ओ अपन लक्ष्यकेँ पाबए लेल दृढसंकल्पित रहैत अछि ओकर
लक्ष्यकेँ आगाँ वृद्धावस्था सेहो युवावस्था सदृश्य लगैत छैक । अंतमे शुभानि सन्तु
!!”
कहि कए अन्तर्ध्यान भऽ गेलाह । जखनसँ निन्न खुजल तखनसँ अपनाकेँ एकदमसँ
हट्ठा-कट्ठा जवान प्रतीत होमय लागल आ भोला बाबाकेँ ध्यानमे रखैत अपन कर्ममे लागि
गेलहुँ ।
मनीष झा "बौआभाइ"
ग्राम+पो.-बड़हारा,भाया-अंधराठाढी(मधुबनी)
मो.-09717347995 (दिल्ली)
उपलब्धि संग्रह: http://writermanishjha.blogspot.com
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें