'रौ कोनमा काल्हि कने रधियाक सासुर भार दऽ आबिहें ।'
"मालिक ककरो आर कहियौ । काल्हि हमरासँ नै हएत ।"
'से किएक रौ ?'
"अहाँकें नै बूझल अछि काल्हि एलेक्सन छै ।"
'ओहिसँ की ? पेट तँ तोरा हमरे देल पाइसँ भरतौ ।नेता तँ नै एतौ ।'
"तैयो मालिक जहिना हमर अधिकार अछि जे काज केलाक बाद अहाँसँ पाइ लेब तहिना भारत माता आ संविधानक अधिकार लेबैये पड़त ।छोड़ि कोना देब ।"
अमित मिश्र
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें