की अहाँ बिना कोनो रूपैया-पैसा लगोने अप्पन वेपार कय लाखो रूपया महीना कमाए चाहै छी ? वेलनेस इंडस्ट्रीज़मे। संपूर्ण भारत व नेपालमे पूर्ण सहयोग। sadhnajnjha@gmail.com पर e-mail करी Or call to Manish Karn Mo. 91 95600 73336

शनिवार, 23 जून 2012

गजल

करिया आइंखक कातक काजर
शोभि रहल अहिवातक काजर

नव यौवन के प्रीत में पसरल
नयन सँ ल नथियातक काजर

लजा गेली ओ देइख क लेभरल
अपन चतुर्थी परातक काजर

सुन्न लगय बिनु काजर नयना
लेप लेलहुं बिन बातक काजर

अनसुहांत सन गप श्रृंगारक
नयन लगय नै जातक काजर

नैन हुनक जा धरि अछि मूनल
बस चुप बैसल तातक काजर

नयन-वाण सँ प्राण जों बंचि गेल
"नवल" जान लेत घातक काजर

----- वर्ण - १३ -----
►नवलश्री "पंकज"◄   गजल संख्या -१३
< २१.०६.२०१२ >

गजल

आखर-आखर छल छिड़िआयल जोड़ि देलंहु त गजल बनल
अपन कलम केर लाधल चुप्पी तोड़ि देलंहु त गजल बनल

भाव पृष्ठ पर शब्दक अरिपन पाईर रहल छी साँझ-परात
मोनक पट हम गजल रंग सँ ढोरि देलंहु त गजल बनल

गजल-गंग केर घाट गहिंरगर गोंत लगेलौं थाह ने भेटल
मन-प्रवाह दिश लगन नाह के मोड़ि देलंहु त गजल बनल

टीस उठल किछु मोन पड़ल हम काइन क नोरे-नोर भेलंहु
पांइत-पांइत के नोरक पोखरि बोरि देलंहु त गजल बनल

वर्ण-पंखुड़ी शब्द-सुमन सँ पांइतक माला गाईथ रहल हम
शब्द के भावक सरस सरोवरि घोरि देलंहु त गजल बनल

रंग रदीफक सजल काफिया बहरक लय मतला-सँ-मकता
बुइध के परती - उस्सर धरती कोड़ि देलंहु त गजल बनल

छूटल- टूटल -रूसल सभ किछु गजल-बाट पर संगी आखर
"नवल" गजल कहबा पाछा जग छोड़ि देलंहु त गजल बनल

----- वर्ण - २५ -----
►नवलश्री "पंकज"◄  
गजल संख्या- -१ 
< १९.०६.२०१२ >

गजल

काजरसँ शोभा आँखिक की आंखिसँ शोभित काजर
करिया जादू सँ केलक सभके सम्मोहित काजर

नजरि नञि ककरो लागय जादू - टोना छू - मंतर
डायनो-जोगिन के केलक मोन के मोहित काजर

लागैन्हि नजरि नें अपना की लेती प्राण अनकर
फँसल मोन दुविधा में ई देख अघोषित काजर

सम्हारल जेतै कोना क ई भाव करेजक भीतर
परसै प्रणय - निवेदन नैन नवोदित काजर

ई मेघो देखि लाजयल जे कारी खट-खट काजर
"नवल" कलंकक सोझा भ गेल अलोपित काजर

----- वर्ण - १९ -----
►नवलश्री "पंकज"◄  
गजल संख्या-

बाल गजल

मोन पड़ल ई कियै अनेरे बात पुरनगर बचपन के
आंखि नोरेलै मोन जड़ेलक याद रमनगर बचपन के

बचपन दाबल-गाड़ल-बिसरल यौवन के मादकता में
खोलि रहल छी खाली मोटरी बैसल असगर बचपन के

बाबुक-कनहा मायक-कोरा अनुपम झूला सन घुआ-मुआँ
ता-ता-ता थैया आर ठेहुनिया खेल छमसगर बचपन के

ठकि-फुसला क कते खुयेलइन्ह दूध-भात आ गूड़क पूआ
चंदा-मामा आर मौसी-बिलाय नेह हिलसगर बचपन के

बस फूईसक खेती द्वेषक दोषी "नवल" जुआनी निर्संतोषी
धाह जुआनिक जड़ा गेलै ओ गाछ झमटगर बचपन के

----- वर्ण - २३ -----
►नवलश्री "पंकज"◄ 
गजल संख्या--१० 

गजल

सभ मात-पिता केर शौख-सेहन्ता बौआ करता नाम
मगन जुआनिक माया नगरी बौआ मनसुख राम

छथि बाबू-पित्ती घरक धरणि थम्हने बनि क खाम
संतति कर्म सँ देह नुकौने करम केने अछि बाम

बाबुक अरजल पर में फूटानी माटि लगै नै चाम
जों अपना कन्हा हर पड़ल त जय-जय सीता-राम

अन्तह शोणित सुखा रहल आ घर बहय नै घाम
बबुआनी केर अजब छै सनकी बैरी भ गेल गाम

ईरखे नान्गैर कटबै लै जे तेजलक मिथिला धाम
परदेसक माया ओझरायल घूमि रहल छै झाम

अपना आँगन सोन छोईड़ क अनकर बीछी ताम
घर छोड़ि घुर-मुड़िया खेलक कहिया लागत थाम

मोल बुझय नहि भावक भाषा भाव पूछय नै दाम
चलु रहब माँ मैथिल आँगन नेह बहय जै ठाम

"नवल" निवेदन मैथिल जन सँ छोडू नै मिथिलाम
छै पागक शोभा माथे पर आ चरणहि नीक खराम

----- वर्ण - २० -----
►नवलश्री "पंकज"◄  
गजल संख्या -९

गजल




देख  मुहँ मूंगबा बहुतो बटाई छै
नाम ककरो गरीबक नै सुहाई छै

भेट निर्धन कए नै भेटलै मिसियो
पेट भरि जाइ सभ  दीनक दबाई छै

मीठ भाषण बरख पाँचे  कते दै छै
जीतकेँ बाद नेतोसभ  नुकाई छै

घूस खा खा  कs बनलै भोकना पारा
आन दमड़ीसँ चमड़ी बड चबाई छै

भ्रष्ट नेता घुमै    बीएमडब्लूमे
एखनो हक गरीबक 'मनु' बटाई छै

(२१२२  १२२२ १२२२, बहरे-मुशाकिल )
जगदानन्द झा 'मनु'  : गजल संख्या -५८

शुक्रवार, 22 जून 2012

गजल


हमर अहाँकेँ प्रीतक खिस्सा आब  दुनियाँ  बिसरत नहि 
युग-युग तक लोकक मोन सँ अपन नाम घटत  नहि 


सूर्य चान केँ प्रेमालाप सँ ई दुनियाँ प्रकाशित अछि भेल 
हुनकर संग बिनु कखनहुँ  ई दुनियाँ चमकत  नहि 


भोला शंकर डमरू बजाबथि पारवती नाचैत अँगना
हुनकर दुनू केँ इक्षा बिनु कएखनो श्रृष्टि चलत नहि


कृष्ण नचाबथि सगरो गोकुल गोबरधन  पर्वत उठा 
बिनु राधिका संग कएखनो हुनक मुरली बजत नहि 


फूल भोंडा केँ प्रीतक खिस्सा सभतरि बहुत पुरान भेलै
'मनु' 'सुगँधाक' नाम बिनु प्रेम कथा आब गमकत नहि  


(सरल वार्णिक बहर, वर्ण-२२) 
जगदानन्द झा 'मनु'  : गजल संख्या-५६ 

गुरुवार, 21 जून 2012

गजल

आई काईल क' प्रेम प्रीत एकटा जेना खेल भ' गेल छैक 
शहेर बंबई केर बड़ा पाव आ पूरी भेल भ' गेल छैक 

एकटा क' आंखि सौं दोसर ,तेसर क' कहल प्रेम अहिं सौं
लागै अछि जेना कोनो वस्त्र आभुषनक सेल भ' गेल छैक

नै बुझै माई बहिन नै बुझै काकी मामी भठल छै ई जुग
कहू कतेक यौ नरको में जेना ठेलम ठेल भ' गेल छैक

की बुढ्बा की जुअनका अधेर बालक त' आरो बिगरल
जेना बुझा रहल बिनु टिकट क' कोनो रेल भ' गेल छैक

कहुना अहाँ बचा क' राखु ''रूबी'' बेटी पुतहु केर लाज क'
ई भठीयेल जुग में विद्वानो त' बकलेल भ' गेल छैक

वर्ण --२२
रूबी झा

गजल


हम कहानी जीवन केर सुनाऊ कोना
करेज चिर कs घाऊ हम देखाऊ कोना

नाम हुनके जपैतछि जे देलक दगा
द्गावाज प्रीतम सँ दिल लगाऊ कोना

चमकैत रूप पाछू जे भागल दीवाना
ओहन दगावाज के हम मनाऊ कोना

विछोडक पीड़ा सँ सुल्गैत अछि करेज
धुँवा धुँवा अछि जीनगी बताऊ कोना

विसरल नै जाईए ओ मिलनक पल
प्रीतमक ईआद दिल सँ भगाऊ कोना

जरल करेज में प्रेम जगाएब कोना
दिल में प्रेमक दीया आब जराऊ कोना

वर्ण-१५------
रचनाकार-प्रभात राय भट्ट

बुधवार, 20 जून 2012

गजल

भरल जोवन में दुःख देलौं अपार सजाना
विरह जीनगी लगैय आब अन्हार सजना

छोड़ी हमरा पिया गेलौं परदेश जहिया सँ
फूटल तहिया सँ इ करम कपार सजना

सहि जाएत छि बैषाख जेठक गर्मी कहुना
सहल नै जइए जुवानी के गुमार सजना

अहींक वियोग में धेने छि विरहिन भेष यौ
निक लागैय नै हमरा शौख श्रृंगार सजना

चान देखैय चकोर दिल में उठेय हिलोर
टुक्रा टुक्रा भेल दिल हमर हजार सजना

मोन करैय माहुर खा छोइड दितौं दुनिया
मुदा मरहू नै दैय अहाँक पियार सजना

वर्ण-१७-
रचनाकार-प्रभात राय भट्ट

मंगलवार, 19 जून 2012

पद के दुरूपयोग (हास्य कविता)

फेर भेटत नहि एहेन सुयोग
अपना स्वार्थ द्वारे कानून बनाऊ-तोरू
मनमर्जी सँ करू ओकर उपयोग
अहाँ करू अपना पद के दुरूपयोग

सत्ताक कुर्सी पर बैसल छि अहाँ
कोनो समस्या देखैत छि कहाँ
मोन मोताबिक सी.बी.आइ के करू उपयोग
अहाँ करू अपना पद के दुरूपयोग !

अरब-खरब घोटाला करू मुदा
दाँत चिआरैत तिहर जेल सँ निकलू
फेर मंत्री पद हथिआउ आ घोटाला करू
सरकारी खजाना सुडाह क बैसू !

सत्ता कुर्सी आ सरकारी धन
जन्मजात अहाँक बपौती छि
अहाँ करू एककर खूब उपयोग
करू अपना पद के दुरूपयोग

मूलभूत समस्याक समाधान किएक करब ?
एही सँ किछु ने होयत ताहि दुआरे
एहने योजना बनाऊ जाही सँ
अहाँ अप्पन जेबी टा भरब

करू अन्याय मुदा बर्दी चमकाऊ
अपनों घुस खाऊ नेताजी के सेहो खुआउ
डरे कियो किछु बाजत कोना
दमनकारी नीति अहाँ अपनाऊ

न्यायक कुर्सी बिका गेल
देशक रक्षक बनी गेल भक्षक
कागजी पन्ना पर आर्थिक योजना
आम आदमीक कष्ट बुजहब कोना

मंत्री छि लालाबती गाड़ी में घूमूं
जनताक खोज खबरि एकदम नहि करू
एक्के बेर आब अगिला इलेक्शन में
भोंट दुआरे जनता के मुहं देखू

दंगा फसाद अहींक इशारा पर
पहिने सँ फिक्स भेल अछि
वोट बैंक पोलिसी के करू उपयोग
अहाँ करू अपना पद के दुरूपयोग !!

लेखक :- किशन कारीगर

गजल


आजुक नेता सबहक कूटनीति आ चाल देखू त'
मातृभूमि क' नोचि- नोचि खा गेल अछि खाल देखू त'

जनता धन सौं जेब भरि, करे कते निम्मन बात
ऊहे जनता क' कोना केने एहन छै हाल देखू त'

निर्धन लोक क भेटै रोटी ओ अन्न सौं भरैथ कोठी
खा बैमानी क' रोटी भेल छै केहन ई लाल देखू त'

मुहँ चिबा भाषण दै कनेको एकरा लाजो नै होए
हैरत छी हैत की हिनकर अगला चाल देखू त'

जे भारत माँ क' नै छोरल ओ अपन माँ क' छोरत
जन्म द' हिनका हिनक माँ क' होए मलाल देखू त'

शनि राहु ग्रह देखू चाहे आजुक कुपात्र नेता क'
कतेक बढ़ल जाई ''रूबी'' जुग में जपाल देखू त'
वर्ण -१९
रूबी झा

गजल

अपन आंखिक पुतली अहाँ क बना ली जों अहाँ कहि त'
हम त अपन करेजक खोह में नुका ली जों अहाँ कहि त'

सौंस जग केर नजेर सौं राखब ओझल क' अहाँ कहू
अपन आंखिक काजरक रेख सजा ली जों अहाँ कहि त

लाख करी कोशिस नै बुझे किओ ठोर पर अहाँक नाम
हम अपन वाणी क' मीठ शब्द बना ली जों अहाँ कहि त'

सगर नग्र भेल छी बदनाम अहिं क' प्रेम में साजन
सौंस नगर सौं हम प्रेम ग्रन्थ पढ़ा ली जों अहाँ कहि त'

मोन छल उडीतौ पैंख पसारि दुनु मिली नील गगन
बनि पखेरू ''रूबी''अहूँ क' संग उड़ा ली जों अहाँ कहि त'

वर्ण -२१
रूबी झा

गजल@प्रभात राय भट्ट


नीरास जिनगीक अहिं हमर नव आस छी
हम विहिनी कथा अहाँ हमर उपन्यास छी

हम पतझर बगिया केर मुर्झाएल फुल
अहाँ रजनीगंधा गुलाब फूलक सुवास छी

हम नीम गाछ तित अछ हमर सभ पात
मधुर फल में अहाँ सभ फल सं मिठास छी

कर्मक मरल छलहूँ हम जग सं हारल
नीरसल जीनगीक अहिं हमर पियास छी

देखलौं बड खेला ई जग अछि स्वार्थक मेला
स्वार्थक संसार में अहिं निस्वार्थ विस्वास छी

साँस लेब छल मुश्किल छलहूँ हम वेजान
इ बांचल प्राण "प्रभात"अहिं हमर साँस छी

--------वर्ण-१७---------
रचनाकार-प्रभात राय भट्ट

गजल@प्रभात राय भट्ट


श्रद्धा सुमन मोन उपवन में प्रीतम
अहिं हमर मोन चितवन में प्रीतम

प्रेम परागक अनुराग अछि जीवन
श्याम राधा मिलन वृन्द्रावन में प्रीतम

चलू जतय बहैय प्रेम स्नेह सरिता
सिया रामक संग रामवन में प्रीतम

रुक्मिणी बनी विरह कोना हम जियब
हमहू जाएब लक्ष्मणवन में प्रीतम

अढाई अक्षर प्रेमक प्रेम में संसार
प्रेम विनु जीव कोना भवन में प्रीतम

वर्ण-१५.......
रचनाकार-प्रभात राय भट्ट