मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

बुधवार, 30 जनवरी 2013

गजल


एखनो कोना कऽ छी नै जनेलहुँ हम
छोरि मनकेँ आन नै धन कमेलहुँ हम

सभक आनै लेल मुँहपर हँसी चललहुँ
अपनकेँ नै जानि कतए हरेलहुँ हम   

हृदय खोखरलक हमर जे दुनू हाथसँ
ओकरो हँसि हँसि कऽ अप्पन बनेलहुँ हम

फूल सगरो छोरि काँटे किए बिछ्लहुँ
ई करेजा जानि कोना लगेलहुँ हम

‘मनु’ करेजा तोरि एना अहाँ जुनि हँसु
मग्न भय कहि गजल ताड़ी चढ़ेलहुँ हम

(बहरे कलीब, मात्रा क्रम-२१२२-२१२२-१२२२)
जगदानन्द झा ‘मनु’   

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें