मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

मंगलवार, 20 मई 2014

आइ

आइ की अछि ?
राजनीतिकेँ करकराहट
कुरसीकेँ मरमराहट
पदकेँ छिना झपटी
फायलकेँ फरफराहट ।

आइ की अछि ?
चुनावक गरमाहट
वोट बेंकक रिजर्बवेशन
चुनाव जितैक लेल
बूथ केपचेरींग केर नव मेथड।

आइ की अछि ?
वचनसँ मुहँ मोरनाइ
कुरसीसँ सटनाइ
आओर फेर कखनो नै
छोड़क लेल नम्हर चूप्पी ।
*****
जगदानन्द झा ‘मनु’

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें