प्रेम कलशसँ अमरित अहाँ पीया तँ दिअ
मुइल जीवन फेरसँ हमर जीया तँ दिअ
काल्हि नहि बाँचत शेष जीवन केर किछु
आइ सुंदर सन एकटा धीया तँ दिअ
जाइ छी हमरा आब चाही प्राण नहि
पात मुँहमे तुलसीक आ बीया तँ दिअ
प्राण बिनु देहक हाल देखू आब नहि
बाटपर ओगरने आँखिकेँ सीया तँ दिअ
एतबा चाही ‘मनु’ बिदाई अंतिम
प्रेममे बारल एकटा दीया तँ दिअ
(बहरे हमीम, मात्राक्रम 2122-2212-2212)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’