मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

मंगलवार, 24 सितंबर 2013

बीमारी

बीमारी छल त पुरान मुदा आब जवान भ गेल
जाहि सॅ सब कियो व्यक्ति आब परेषान भ गेल

एहि सॅ बचे के नहिं छे कोनो उपाय
बाजारो में भेटहि नहिं छे कोनो दवाई

मन होय य चुरुक भरि पानि म डूबि जाई
आब त एहि जिनगी के मालिक भगवान भ गेल

बीमारी छल त पुरान मुदा आब जवान भ गेल
जाहि सॅ सब कियो व्यक्ति आब परेषान भ गेल

सोचेत होयब एहि बीमारी के की नाम छी
की अहाँ सब सत्ते ई चीज स अनजान छी
भाँझ लागल छल अहाँ सब बड़का विद्वान छी
ओहि बीमारी स इन्सान आब षैतान भ गेल

बीमारी छल त पुरान मुदा आब जवान भ गेल
जाहि सॅ सब कियो व्यक्ति आब परेषान भ गेल

लक्षण बता देत छी , ई बेटीए ता के धरई छई
जाहि स रोज हजारो बेटी आ बहिन मरई छई
सब कियो देखई छइ मुदा किछु नहिं करई छई
ई सब देखि के ’आशिक’ अवाक आ हैरान भ गेल

बीमारी छल त पुरान मुदा आब जवान भ गेल
जाहि सॅ सब कियो व्यक्ति आब परेषान भ गेल

घर घर म ई पसरल अछि नाम छी दहेज
इलाज एकर एके गो जे करऽ पड़त परहेज
आउ सब गोटे सपथ खाउ नहिं लेब दहेज
कियै ’आशिक ’ अहाँ के बंद जुबान भ गेल
बीमारी छल त पुरान मुदा आब जवान भ गेल
जाहि सॅ सब कियो व्यक्ति आब परेषान भ गेल

एकर विषाणु पनपई छै अज्ञान स
बीमारी दूर भ सकई अछि ज्ञान स
बेसि के सब सोचू एक बेर ध्यान स
फेरि देखब मिथिला केतेक महान भ गेल

बीमारी छल त पुरान मुदा आब जवान भ गेल
जाहि सॅ सब कियो व्यक्ति आब परेषान भ गेल

आशिक ’राज ’

1 टिप्पणी: