मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

मंगलवार, 24 सितंबर 2013

जखन ओ मन पड़य छथि

हँसेति छी जेखन ओ मन पड़य छथि 
कानैति छी जेखन ओ मन पड़य छथि

बितलाहा दिन आबि जायक्मअ अछि सोझा 
बहुत ओ जेखन मन पड़य छथि


बहुत बेरि कोशिश कएलौं बिसरि जाई हुनका
कोशिश करी कोना ओ मन पड़य छथि

दूर होई के बादो ओ कतेक लग में छथि
जखन तखन हरदम ओ मन पड़य छथि

हुनका सौं कतेक प्रेम अछि से जानी
साँस लेईके संग ओ मन पड़य छथि

सब राति सपना में देखय छी हुनका
कियैक त सबदिन ओ मन पड़य छथि

असगर में कखनो कखनो हँसी आबेति अछि
कुनु कुनु बात हुनकर मन पड़य छथि

हुनका सॅ दूर छी 1200 किलोमीटर लगभग
तहियो लग में छी सदिखन ओ मन पड़य छथि

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें