मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

बुधवार, 7 नवंबर 2012

गीत

भईया क त अहाँ जगेलिये हमरो भाग्य जगबियो नै
अपना सन सुरतिया भऊजी हमरो लेल तकियौं नै
चान सनक नहिं चाही हमरा , चाही अहीं सन गोर यै
सुगा सनके नहिं चाही , लाल अहीं सन ठोर यै
अहाँ गाम होय जौं भऊजी बात बढ़बियो नै
अपना सन सुरतिया भऊजी हमरो लेल तकियौं नै
गाल पर तिलवा बेषक नहिं होय , होय अहीं सन दिल यै
अहाँ जौं कनिको ध्यान देबय त हेतै नहिं मुष्किल यै
छोट दियर मनक आषा अहाँ पूरबियो नै
अपना सन सुरतिया भऊजी हमरो लेल तकियौं नै
जिनगी भरि हम पैरि दबायब , रहब अहसानमन्द यै
अपने सन दियादिनी भऊजी करयौ नहिं पसन्द यै
एहि लगन में आशिक के भऊजी बिआह करबियौ नै
अपना सन सुरतिया भऊजी हमरो लेल तकियौं नै
भईया क त अहाँ जगेलिये हमरो भाग्य जगबियो नै
अपना सन सुरतिया भऊजी हमरो लेल तकियौं नै

आशिक ’राज’

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें