मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

गुरुवार, 20 अगस्त 2026

बीहनि कथाक पोथी आ कथाकार

मैथिली साहित्यमे आइ बीहनि कथाक स्थान आ खगता दुनूक बेगरता अछि। आ समय संगे पाछाँक दू दशकमे बीहनि कथा अपन एकटा नव स्थानेटा नहि बना कऽ पाठकक मोनमे एकटा जिज्ञासा बना लेलक, जे आबय बला समयमे बीहनि कथाक संसार अपन बालावस्थासँ जबानीटा नहि वरन साहित्यक अँगनाक एकटा यशस्वी विधा बनत। हम ओहि सुखद समयसँ छी, जे बीहनि कथाकेँ बालावस्थामे बढ़ैत आ खेलाइत, युवावस्थाक दिस डेग बढ़बैत देख रहल छी।

आइ नित्य नव-नव बीहनि कथा आ बीहनि कथाक पोथी लिखल जा रहल अछि। किछु प्रमुख बीहनि कथाक पोथी आ बीहनि कथाकारक विवरण नीचाँ देल जा रहल अछि -

१. पोथी - क्षणिका, बीहनि कथाकार - अमरनाथ, प्रकाशन वर्ष - १९७५, प्रकाशक - मैथिली रचना मंच, दरभंगा।

 

२. पोथी - कल्प-गुच्छ, बीहनि आ लघु कथा संग्रह, कथाकार - गजेन्द्र ठाकुर, प्रकाशन वर्ष - २००९, प्रकाशक - श्रुति प्रकाशन।

 

३. पोथी - प्रतीक, बीहनि कथाकार - मुन्ना जी, प्रकाशन वर्ष - २०१२, प्रकाशक - श्रुति प्रकाशन।

 

४. पोथी - त्रिवेणीक रंग, बीहनि आ लघु कथा संग्रह - कथाकार राजदेव मंडल, प्रकाशन वर्ष - २०१४, प्रकाशक - श्रुति प्रकाशन।

 

५. पोथी - उलहन, बीहनि कथाकार - कपिलेश्वर राउत, प्रकाशक - श्रुति प्रकाशन।

 

६. पोथी - उपरान्त, बीहनि कथाकार - घनश्याम घनेरो, प्रकाशन वर्ष - २०१६, प्रकाशक - गीताश्री प्रकाशन, पटना।

 

७. पोथी - सिनेहक दाम, बीहनि कथाकार - डॉ आभा झा, प्रकाशन वर्ष - २०२०, प्रकाशक -  नवारम्भ प्रकाशन।

 

८. पोथी - कनकिरबा, बीहनि कथाकार - डॉ प्रमोद कुमार, प्रकाशन वर्ष - २०२१, प्रकाशक - शशि प्रकाशन।

 

९. पोथी - मोकाम दिस, बीहनि कथाकार - मुन्ना जी, प्रकाशन वर्ष- २०२१, प्रकाशक - शशि प्रकाशन।

 

१०. पोथी - तोहर कतेक रंग, बीहनि कथाकार - जगदानन्द झा ‘मनु’, प्रकाशन वर्ष - २०२२, प्रकाशक - पल्लवी प्रकाशन।

 

११. पोथी - सझिया रोपनी, संपादक - डॉ प्रमोद कुमार (तैंतालिस गोट लेखकक सझिया संग्रह) प्रकाशन वर्ष - २०२२, प्रकाशक - शशि प्रकाशन।

 

१२. पोथी - पर्वत उपर भवरा जे सूतल, बीहनि, लघु आ दीर्घ कथा संग्रह, कथाकार - गजेन्द्र ठाकुर, प्रकाशन वर्ष - २०२३

 

एकर अतिरिक्त बहुतो लेखक छथि जिनकर बीहनि कथा समय-समयपर विभिन्न पत्रिका सभमे प्रकाशित होइत रहैत अछि। जाहिमे प्रमुख छथि - ओम प्रकाश झा, विद्या नन्द झा ‘बमबम’, कुन्दन कर्ण, मुकेश आनन्द, प्रमोद झा ‘गोकुल’, मोहन कुमार झा, उमेश मंडल,  दुर्गानन्द मंडल, राजदेव मंडल, रामविलास साहु, ललन कुमार कामत, अनिता मिश्रा, जयंती कुमारी, भावना मिश्रा, मुन्नी कामत, ममता कर्ण, राहुल झा, आशुतोष आनंद, सांत्वना मिश्रा, परमादत्त झा, सुजीत कुमार झा। भऽ सकैत अछि जे किछु पोथी आ बीहनि कथाकारक नाम एतय छूटि गेल होइ, जेना-जेना हमरा लग पोथीक अथवा बीहनि कथाकारक नाम अबैत रहत, हम एहीठाम जोड़ैत रहब।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें