जे घाव अहाँ हमर करेजकेँ देलहुँ
सबटा ओ दर्द दुनियाँसँ नुका लेलहुँ
मुस्कीसँ हमर नै बुझू जे हम खुश छी
खूनक घुट अहाँक खुशीमे पी गेलहुँ
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित Maithiliputra - Dedicated to Maithili Literature & Language
जे घाव अहाँ हमर करेजकेँ देलहुँ
सबटा ओ दर्द दुनियाँसँ नुका लेलहुँ
मुस्कीसँ हमर नै बुझू जे हम खुश छी
खूनक घुट अहाँक खुशीमे पी गेलहुँ
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
हे कृष्ण गोविंद मुरारी मिता हमर
सगरो दुनिया केर मालिक पिता हमर
गेलअ छोरि किएक तू ‘मनु’क करेजा
घुरि आबअ नहि तँ सजत आब चिता हमर
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
सिस्टम आइकेँ किए बबाल बनल अछि
नेता सभ तँ एकटा जपाल बनल अछि
बड़ बड़ बागर बिल्ला राज चलबैए
जनताक प्राणेपर सबाल बनल अछि
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
मीरा केर हरने अहाँ कते दुख छी
खा साग विदुर केर भेल बड्ड सुख छी
हे माधव ‘मनु’ केर अपन भक्ति दय दिअ
दुनियामे सबसँ सुन्नर अहाँक मुख छी
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
प्रभुजी पाथर करेज हमर कोमल करु
एतय रही अहाँ ततेक सिनेहल करु
संसारक जंजालसँ मुक्ति दय ‘मनु’केँ
अपने चाकरीमे सदिखन राखल करु
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
खड़ाम पैरमे नहि अकास मोनमे छल
कुहास बड्ड बाहर इजोत टोनमे छल
टएरकेँ चलाबी गरीब तेँ बुझू नहि
हमर अपन सगर धन अहाँक लोनमे छल
किएक आनके दुख बुझत चलाक नेता
हुनक सगर बुढ़ापा तँ सेफ जोनमे छल
सिनेह शांति सबटा जगतसँ गेल हेरा
अखनसँ नीक बेसी मनुष्य बोनमे छल
पतंग पाछु भागैत मनुक हर्ख देखू
पुतौह केर जेना बहिनसँ फोनमे छल
(मात्राक्रम 121-2122-121-2122, सभ पाँतिमे)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
भहरल भीत नै उठाउ यौ पाहुन
जर्जर टाट नै सटाउ यौ पाहुन
खाली छाड़बै उछेहबै भरि दिन
झहरल चार नै बचाउ यौ पाहुन
पाकल काँच जेहने घरे भरिमे
बाहर नाक नै कटाउ यौ पाहुन
धधकै आगि खड़ खड़ेल पजरल छै
नहि टंकी बहा जराउ यौ पाहुन
सगरो खाम गेल सड़ि हबेलीकेँ
‘मनु’केँ हँसि क नै बजाउ यौ पाहुन
(मात्राक्रम 2221-212-1222, सभ पाँतिमे।)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
अहाँ सुनबै जँ नहि हम केकरा कहबै
पिया जुलमी हमर दुख हम कते सहबै
सखी बहिना अहाँके प्रेममे छूटल
पिया हम आब कोना असगरे रहबै
निहोड़ा आब करु हम कोन विधि सजना
सगर उसरैग एही भक्त पर ढहबै
विरहके आगिमे जरि मरि रहल छी हम
अहाँ आइब करेजामे कखन गहबै
रहत नेहक वचन नै यादि ‘मनु’ जा दिन
जहर माहुर अछैते पानिमे बहबै
(बहरे हजज, मात्रा क्रम 1222-1222-1222)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
चलू देखब हे बहीना शिवकेँ
अपन गौरीकेँ सजनमा शिवकेँ
सभक ई खाली भरै छथि झोली
सरण आइब जे सुमरला शिवकेँ
गरीबोकेँ छथि इहे सुननाहर
दियौ जल भरि एक लोटा शिवकेँ
मनुख दानव देव आ प्रेतात्मा
सगर दुनिया मिल मनेला शिवकेँ
सिया रामोकृष्ण हुनके पुजलनि
बनेलनि सगरो अराध्या शिवकेँ
कृपानिधि कैलाशवासी जय भव
चरण वंदन जग रचैता शिवकेँ
मनोरथ सब पूर्ण करता शम्भू
कहल ‘मनु’ जे मनसँ भजता शिवकेँ
(मात्राक्रम- 1222-2/ 1222-2)
सुझाव, मार्गदर्शन व आलोचना सादर आमंत्रित अछि।
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
जखन कखनो जे सोचब हमरा
अपन लअगेमे पायब हमरा
हमर गजलक आखर तनमनमे
कचोटत तँ अहाँ ताकब हमरा
अलग छी एखन कोनो गप नै
हृदयमे सदिखन देखब हमरा
दुनू दू तन एक्के जिनगी छी
अहाँ कखनो नै बिसरब हमरा
अहाँकेँ हम छी कहलौं जे ‘मनु’
कि मुइला बादो मानब हमरा
(बहरे गोविंद, मात्राक्रम 1222-222-22, सभ पाँतिमे। दोसर शेरकेँ दोसर पाँतिमे दूटा अलग-अलग लघुकेँ दिर्ध मानक छुट लेल गेल अछि)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
दर्द देखायब करेजाक मानब की
काल्हि सपनोमे हँसी छोरि कानब की
प्रेम पुरुषक छैक गोबर अहाँ कहलौं
चीर देखायब करेजा तँ गानब की
दोष सभमे नहि कतउ एकमे हेते
संग हमरो ओहिमे आब सानब की
आइ छै अन्हार सगरो अहाँ कहलौं
आँखि मुनि संसारमे जोत आनब की
किछु भरोसा प्रेममे कय अहाँ देखूँ
होइ छै की नेह ई ‘मनु’सँ जानब की
(बहरे कलीब, मात्राक्रम : 2122-2122-1222)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’