मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

शनिवार, 6 जुलाई 2013

गीत

तोहर रुप पूर्णिमा के चान गोरिया
लेलक लेलक हन सभके प्राण गोरिया -2
तोहर आँखिक तीर सभके घायल केलक
ताहु सॅ जे बचल तोहर पायल केलक
कत्ल केलक हन कातिल मुस्कान गोरिया

लेलक लेलक हन सभके प्राण गोरिया -2
डसलक हन सभके ई नागिन सन चाल
देखीही पाबय लेल तोरा सभ भेलय बेहाल
खून खूनामे भेलय गामेंगाम गोरिया
लेलक लेलक हन सभके प्राण गोरिया -2
जे सभ देखलक हन तोरा ओ पागल भेलय
जे नहिं देखलक हन तोरा अभागल भेलय
तोरे चर्चा छई सगरो जहान गोरिया
लेलक लेलक हन सभके प्राण गोरिया -2
तु प्रेमक समुन्दर आ पियासल छी हम
प्रेमरस नहिं पियै म निकलि जायत दम
बाज ले म की प्रेमक दाम गोरिया
लेलक लेलक हन सभके प्राण गोरिया -2
अंतिम इच्छा ई हम्मर पुरा दे तुहीं
अपन आँखिसॅ मदिरा पिया दे कनी
छई आशिक कुमारे अखनिधरि से जान गोरिया
लेलक लेलक हन हम्मर प्राण गोरिया -2
तोहर रुप पूर्णिमा के चान गोरिया
लेलक लेलक हन हम्मर प्राण गोरिया -2

लेखक - आशिक ’राज’

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें