मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

गुरुवार, 9 जनवरी 2025

गजल

अनलौं करेजा हमर स्वीकार करु

हमरासँ एना   अहाँ नहि बेपार करु


गरदनि उठा हजुर हमरा नहि देखबै

हम केकरा  लेल एते  सिंगार करु

 

सस्ता महग बाढ़ि रौदी सगरो भरल

सोइच गरीबक अहाँ किछु सरकार करु

 

हरलौं कते युगसँ तन मन धन बनि अपन

नहि आब ऐ आतमापर  अधिकार करु

 

झूठक बटोरल अहाँकेँ बहुमत रहल

‘मनु’ नहि सड़ल बाँटि जनता बेमार करु

 

(बहरे सगीर, मात्राक्रम - 2212-2122-2212)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


शुक्रवार, 27 दिसंबर 2024

गजल

प्रेममे हुनकर जहर चिखने जाइ छी 

सब बुझैए हम निशा कयने जाइ छी

 

मानतै के देख मुँह पर मुस्की हमर

की करेजाकेँ अहाँ खुनने जाइ छी 

 

जे मयूरक पाँखि  पेलौं उपहारमे

प्राण बुझि संगे सगर धयने जाइ छी

 

रोशनाई नै कलममे  बड़ अछि कहक

चीर छाती सोणितसँ लिखने जाइ छी

 

जीवनक ठोकर कते लागल  चारुदिश

‘मनु’ सुमरि सब चोट ई सहने जाइ छी


(बहरे जदीद, मात्राक्रम 2122-2122-2212)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’ 


 

रविवार, 8 दिसंबर 2024

रुबाइ

हमहूँ खेत आइ बोटीकेँ रोपलौं

पोसै लेल पेट झूठक हर जोतलौं

कारी कोटसँ कोटमे निसाफ ककरा

टाका पाबि आँखि बान्हि दफा जोखलौं

                   ✍🏻जगदानन्द झा ‘मनु’


बुधवार, 4 दिसंबर 2024

रुबाइ

तोरा नहि हम छोड़लौं नहि हम बेवफा

तोरा बिन नहि मरलौं नहि हम बेवफा

तोहर प्राण गेल बुझि नहि जीवैत ‘मनु’

बिन काठीए जरलौं  नहि हम बेवफा

                ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

 


शनिवार, 26 अक्टूबर 2024

गजल

ताड़ीमे कतए मद जे चाही जीबै लेल

माहुरमे कुन जीवन चाही जे चीखै लेल 

 

बाँकी नै ताड़ीएटा टूटल मोनक हेतु

जीवनमे एकर बादो बड़ छै पीबै लेल

  

सिस्टममे फाटल छै मेघसँ धरती धरि कोढ़

एतै कतयसँ दरजी सिस्टम सीबै लेल

 

जीतब हारब सदिखन लगले छै जीवन संग

फेरसँ उठि कोशिश नमहर हेतै जीतै लेल

 

मोनसँ करबै ‘मनु’ अप्पन जीवनकेँ तैयार

कर्मक बीया सगरो बहुते अछि छीटै लेल

 

(बहरे विदेह, मात्राक्रम 2222-2222-222-21 सभ पाँतिमे)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


शुक्रवार, 5 जुलाई 2024

रुबाइ

पागल हम दुनियामे पियार तकै छी

भलमानुस सब सगर वेपार तकै छी

नै कोनो दाम मनुख मनुखताकेँ

स्वार्थी लोकसँ ‘मनु’ सरोकार तकै छी

                 ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

मंगलवार, 2 अप्रैल 2024

जँ हम मरि जाइ कनिको नै अहाँ कानब - गजल

रुबाइ

एतेक नेहमे लीबैत किएक छी

दुनिया पुछलनि हम जीवैत किएक छी 

सभ बुझला उत्तर ‘मनु’ अहूँ इ जुनि पूछू 

दिन राति एतेक पीबैत किएक छी 

                ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

 


रविवार, 31 मार्च 2024

गजल

की बनब चाहै छलौं हम कि बनि गेलौं

प्रेममे प्रियतम  अहीँ केर    सनि गेलौं

 
आस जे परिवारकेँ  आब नहि रहलै

जेब खाली देख सब हीन जनि गेलै

 

सुधि रहल नहि बोझ लदने अपन हमरा

पाबि चुटकी भरि  सिनेहेसँ कनि गेलौं

         

गाम सदिखन खूनमे अछि बसल हम्मर

छल लिखल परदेशके  गाम मनि गेलौं                 

 

नेह अप्पन आब नै नेह टा रहलै

मोनमे बसि ‘मनु’ हमर साँस गनि गेलौं

 

(बहरे कलीब, मात्राक्रम  2122-2122-1222

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


मंगलवार, 26 मार्च 2024

रुबाइ

घुमि कनखीसँ कनीक अहाँ ताकि देलहुँ

तन मन अपन एहिपर हम हारि देलहुँ

नहि आब बैकुंठकेँ रहि गेल इच्छा

सगरो अहाँकेँ लेल ‘मनु’ बारि देलहुँ

                  ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’