मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहिसँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत।

सोमवार, 22 अक्टूबर 2012

गजल

हँसि हँसि के मारि गेल त हम कि करी
जीबते कियो जारि गेल त हम की करी

बहकि त गेल छलहुँ हुनका देखि के
खसति ओ सम्हारि गेल त हम की करी

मोन हमर भीजल पुआर जकाँ छल
मुदा आगि पजारि गेल त हम की करी

रुप हुनक आँखिक सोझा रहति अछि
हुनका नै बिसारि भेल त हम की करी

देखते देखेत ओ दीवाना बना देलक
मन मोहिनी नारि भेल त हम की करी

सिनेहक बात सुनाबय के मोन छल
पहिले तकरारि भेल त हम की करी

आब सभ गरिया के चलि जायत अछि
भाइये सॅ अराडि़ भेल त हम की करी


-------- वर्ण15 --------

आशिक ’राज’

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें