मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

शुक्रवार, 24 जुलाई 2026

कोन काज करै छी?

“अहाँ कोन काज करै छी?”

“हम लिखैत छी।”

“की लिखैत छी?”

“मैथिली साहित्य, जेना कविता, गजल, कथा आदि।”

“लिखैत छी से बुझलहुँ, मुदा काज की करै छी?

“लिखबे हमर काज अछि।”

“तँ ई लिखलासँ घर चलि जाइए? नहि ने तँ घर चलबै लेल कोन काज करै छी?”


गुरुवार, 23 जुलाई 2026

पैखाना खाए गेल

 “मुझौँसा, टाटीबला, सरधुआ, कीड़ा फरतौ कीड़ा”

“की भेल? यै गायटोलबाली, भोरे-भोर एतेक आमिल किएक पीने छी? आ ई कीड़ा ककरा फरा रहल छी?”

“की कहूँ यौ बौआ, घर-घर शौचालय-योजनाक लेल आइ चारि महीनासँ ई सरधुआ मुखियाक अँगनाक फेरा लगा-लगा कय टाँग टूटि गेल, मुदा आइ बुझयमे आबि गेल जे सरधुआ अंततः हमर पैखाना खाए गेल।”


मुख्य वक्ता

 “काका यौ कोनो विधा लेल प्रोफेसर पैघ कि विधाकार? विधाकार माने जे ओही विधापर काज कएने हुअथि, जिनकर ओही विधाक विकासमे कोनो योगदान होइन। जे बेस मात्रामे नीक-नीक रचना ओही विधामे लिखने हुअथि वा जिनकर ओही विधामे योग्य पोथी प्रकाशित भेल होइन।”

“हमरा हिसाबे तँ विधाकार पैघ होबाक चाही।”

“तहन मंचपर ओही विधाक नाम गूगल करैबला प्रोफेसर मुख्य वक्ता कोना?”


गुरुवार, 16 जुलाई 2026

गजल

गगन नेहक बना बदरा  मधुर बरखा बहाबै अछि

पिया धरतीक आँचरमे अमृत रस ई चुआबै अछि

 

सजल नैना अहाँकेँ ई धनुष सन देखि कजरायल

हमर ओझल हियामे ओ बिलोका बड़ खसाबै अछि


जखन बाजल झनक पायल झमाझम भय कतहुँ बरसल

हुनक केशक हवा सगरो सुगंधित मन बनाबै अछि

 

मिलन कय आसमे बैसल तकै छी बाट प्रियतमकेँ

उमड़ि कय मेघ जे गरजै हियामे लौ जगाबै अछि

 

उमँग मोनक सगर संगे अपन नेने किए गेलहुँ

हमर ई प्राण ‘मनु’ लेने गजल विरही सुनाबै अछि

 

(बहरे हजज, मात्राक्रम : 1222-1222-1222-1222)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


शनिवार, 11 जुलाई 2026

गजल

जीवन भरि सबहक सुनिते रहलहुँ

मोनक  सभ  पीड़ा पिबिते रहलहुँ

 

गामक घर आँगन खाली कय हम

शहरक धूवाँमे जिबिते रहलहुँ

 

पोखरि भरि बाड़ीसँ मिला लयने

बिन माछक थारी तकिते रहलहुँ

 

सभकेँ सभ किछु नहि भेटल जगमे

भागक लिखलाहा  गणिते रहलहुँ

 

मुँह बोने कौआ सगरो बैसल

चुप भय ‘मनु’ सभटा सहिते रहलहुँ

 

(बहरे मीर, मात्राकर्म : 22-2-22-22-22, तेसर शेरकेँ पहिल पाँतिमे दूटा अलग-अलग लघुकेँ दिर्घ मानक छूट लेल गेल अछि।)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


गुरुवार, 9 जुलाई 2026

गजल

पैघ नहि  जीवनसँ  दोसर सजा कोनो

नहि कतौ अछि एहि दर्दक दवा कोनो

 

बंद केने  मोनमे छी  दुखक सागर

केकरो लागल भनक नहि हवा कोनो

 

सत्य अंतिम मृत्यु अछि जीवनक सबहक

बेसि एहिसँ आन अछि नहि मजा कोनो

 

बेइमानी आ कपटकेँ जतय घर नहि

अछि अहाँ लग एहि जगमे पता कोनो

 

‘मनु’ हियक भीतर अहंकार जे मारय

नहि कतो एहेन भेटल गदा कोनो

 

(बहरे कलीब, मात्राक्रम : 2122-2122-1222)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


रविवार, 5 जुलाई 2026

गजल

हुनक मुस्कीक  जादू जान मारैए

नजरि खसिते हियामे बाण मारैए

 

चमक घोघेसँ रूपक पूर्णिमा लेने

सगर अँगना  कते मुस्कान मारैए

 

उदासी मोनमे  कखनो जँ पसरैए

अहीं लग आबि ई फुलपान मारैए

 

सँभाइर पैर  धरतीपर  कनी राखू

झनक पायलसँ ई सुर तान मारैए

 

‘मनु’क सगरो गजलमे बनि अहीं आखर

कते यौवन  दमकि सोहान मारैए

 

(बहरे हजज, मात्राक्रम : 1222-1222-1222)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’