मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

गुरुवार, 30 अप्रैल 2026

गजल

हुनकर प्रेमक धाहसँ हम गुलाबी गेलौं

बुझलनि नहि हमरा हम शराबी गेलौं 

 

हँसि कय हम लूटेलौं मोन सगरो अपन बुझि

भेटल नहि कनिको मोजर हिसाबी गेलौं 

 

सुनलौं बहुते एखन धरि सभक चुप सबटा 

सुनिते देरी मोनक हम जवाबी गेलौं 

 

जीवन भरि नेना पोसब रहल आस  अनके 

चाकर बनिते सरकारी नवाबी गेलौं

 

जगमे बहुते धोखा पाबि  सिखलौं रहब हम

असगर ‘मनु’ आखर संगे किताबी गेलौं

 

(मात्राक्रम 2222-222-122-122 सभ पाँतिमे) 

✍🏻जगदानन्द झा ‘मनु’


बुधवार, 29 अप्रैल 2026

गजल

नहि सिनेहक मोल मिसियो बुझलक हमर

लोक हँसि हँसि कय करेजा तजलक हमर

 

डोर साँसक जेकरा देलौं हाथमे

नहि हिया ओहो तँ संपति तकलक हमर

 

करु भरोसा आब कोना ककरोसँ हम

प्रिय छल जे मोनकेँ बड़ खुनलक हमर

 

मीत छल मोनक सगर जे सुखमे बनल

बुझि घड़ी दुख केर ओ नहि सुनलक हमर

 

देत अनकर दोष नहि ‘मनु’ कनिको हिया

एहने बिधना कपारे लिखलक हमर

 

(बहरे जदीद, मात्राक्रम 2122-2122-2212) 

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

 


शुक्रवार, 10 अप्रैल 2026

रुबाइ

छुपि-छुपि  राति दिन हम बाट निहारै छी 

जल्दीसँ आबू बड़ आस  कराबै छी 

पूरा होयत कखन ‘मनु’ मनोकामना

हमरा किए नहि करेजसँ लगाबै छी

                    ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

 


शुक्रवार, 3 अप्रैल 2026

गजल

अपन एकटा पुरान वार्णिक गजलकेँ, कनीक पॉलिश कय क बहरे हजजमे प्रस्तुत क रहल छी।मतलाक मिसरा-ए-ऊला सभार, ओम प्रकाश जी, लाइव मोशायरा विदेह फेशबूक ग्रूपसँ (03/03/2012)

 

गजल

अहाँ कखनो तँ बाट हमर  घरक धरबै

अहाँ बिन हाथ नहि दोसर वरक धरबै

 

निहारै राति दिन हम बाट खाली छी

अहाँ कखनो कनी कोनो सड़क धरबै

 

सगर सिंगार टुकली नाककेँ नथिया

अहीँ सेनुर पियाजी सिथ परक धरबै

 

मिलनकेँ आसमे साजनसँ हम चललौं

गड़ी घोड़ा ज भेटल नहि टरक धरबै

 

हमर जीवन सगर अछि ई अहीँ वास्ते

अहाँ बिन छोरि जीवन ‘मनु’ नरक धरबै


(बहरे हजज, मात्राक्रम- 1222-1222-1222, मतलाक मिसरा-ए-ऊलामे दूटा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानक छूट लेल गेल अछि।)

सुझाव, समीक्षा, आदेश सादर आमंत्रित अछि।

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’