मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

शुक्रवार, 9 फ़रवरी 2024

गजल

नीक केहन आइ सगरो रीत भेलै

प्रेम जकरा  देलियै ओ तीत भेलै

 

जेब खाली साँझ हम बाजार गेलौं

जे कियो ई बुझलकै भयभीत भेलै

 

बोल सोहेतै किए ककरो गरीबक

आब धनिकक गाइरो नवगीत भेलै

 

जन्म भरि गिरगिट जकाँ जे रंग बदलै

ओकरे सभके किए ई जीत भेलै

 

भाइ भैयारीक मुँह चाटै कुकुर ‘मनु’

लाख सोशल मीडिया पर मीत भेलै

 

(बहरे रमल, मात्रा क्रम 2122-2122-2122)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें