मैथिलीपुत्र ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैथिलीपुत्र ब्लॉग मैथिली साहित्य आ भाषा लेल समर्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव jagdanandjha@gmail.com पर पठा सकैत छी। कृपया एहि ब्लॉगकेँ subscribe/ फ़ॉलो करब नहि बिसरब, जाहिसँ नव पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनिकेँ भेटैत रहत।

बुधवार, 13 मई 2026

गजल

ठठड़ी बना कयलनि ओ तँ सराध हमर

जिनकासँ छल मोनक नेह अगाध हमर

 

मुनि आँखि कयलहुँ विश्वास हियासँ जकर

ओ आबि कयलनि संसार विषाध हमर

 

ओ भोंकलनि मौका देखि पिजेल छुरी

कहियो छली जे तन-मनसँ अराध हमर

 

किछु छोड़लनि नहि जीबाक भरोस कनी

संगे घड़ारी लिख लेलनि बाध हमर

 

अपने जकाँ बुझलहुँ नीक करेज सभक

‘मनु’ बस इहे जीबनमे अपराध हमर

 

(मात्राक्रम 2212-2221-121 12 सभ पाँतिमे) 

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें